हमर गाम
पाली पंचायत , मधुबनी जिला क बेनीपट्टी प्रखंड में अवस्थित अछि !
गाम के इतिहास के लेल अनेक तरहक धारणा अछि ,
कहल जाइत अछि जे पाल् राजा दोसर क महल छल एही गाम में जे अपभ्रंश भ पाली नाम स जानल जाइत अछि !!
किछु गोटे के इ हो कहब छैन जे प्रभु श्री राम जखन जनकपुर जाइ छलाह अवधि में बजला "अब जनकपुर पाली" जकर मतलब आछी "आब जनकपुर नजदीक अछि" ओ जगह पाली के नाम स जानल जाइत अछि !
इ सब बात के कोनो प्रमाण नाइ आछी , मुदा लौकिकता में कहल जाइत अछि !
गाम क क्षेत्रफ़ल : 16 हजार एकर
जनसँख्या : 12 हजार
मतदाता : 7 हजार 1 सौ
ग़ाम के चौहदी :-
उत्तर में = माँ उच्चैठ वासनी
दक्षिण में = यग्वलय् स्थान (जगवन)
पूरब में = बाबा विद्यापति स्थान (बिस्फी)
No comments:
Post a Comment